Saturday, January 19, 2013

तऽ फेर की केलहुँ?


बात जौं मोन के नहि केलहुँ, तऽ फेर की केलहुँ?
प्रीत केर दीप नहि जरेलहुँ, तऽ फेर की केलहुँ?

कतेको लोक खसैत भेटत, रोज दुनिया मे
एको टा लोक नहि उठेलहुँ, तऽ फेर की केलहुँ?

लगल छी जोड़ घटावे मे, हम भरि जिनगी   
अपन हिसाब नहि लगेलहुँ, तऽ फेर की केलहुँ?

ज्ञान, धन खूब बढ़ेलहुँ हम गाम सँ बाहर
गाम पर ध्यान नहि लगेलहुँ, तऽ फेर की केलहुँ?

सुनय छै आब कहाँ कियो, सब बाजय छै
सुमन केँ गीत नहि सुनेलहुँ, तऽ फेर की केलहुँ?

Sunday, January 13, 2013

सदरिखन सपना रहय

लोक अप्पन रहय वा कि अदना रहय
हुनक मन मे सदरिखन सपना रहय

लोक बुझय कियै मोल मरले के बाद
छोड़ि देलक जे दुनिया वो गहना रहय

पैघ  केँ मान दैत बात खुलिकय करू
मुदा बाजू उचित जे भी कहना रहय

माय बापो तऽ जीबैत भगवान छी
नाम हुनके जपू जिनक जपना रहय

हो उचित आचरण छी सभा मे सुमन
चाहे बैसी ओतय वा कि उठना रहय