Sunday, March 9, 2014

फागुनक रंग

रंग फागुन के चढ़लय नगरिया मे
लोक गाबय जोगीरा देहरिया मे
रंग फागुन के ------------

भैया केँ भोरे सँ भाँगे के ताल छै
आँखि देखू भौजी के तामस सँ लाल छै
खसलय सड़क दुपहरिया मे
रंग फागुन के ------------

लाल कियो हरियर कियो छै कारी
फाटल छै कुरता भीजल छै साड़ी
तैयो घुमय सब बजरिया मे
रंग फागुन के ------------

फागुन सुमन छी प्रेमक निशानी
बुढ़िया आ बुढ़बो के देखू जवनी
कोना सुतल छै इजोरिया मे
रंग फागुन के ------------ 

1 comment:

  1. WAHHH BAHUT SUNDAR
    AAPKE KABITA KA MAI PHOTO COLLECTION APNE BLOG PAR DE RAHA HUN . BAHUT JALD WO GOOGLE IMAGE ME AAYEGAA .

    http://akashchandramishra.blogspot.in/

    ReplyDelete